काठमाडाँै, २४ कातिक । सूचना तथा सञ्चारमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिना अन्तर्राष्ट्रिय दूरसञ्चार सङ्घ (आइटियू) महासम्मेलन २०२६ (आइटियु पिपी–२६) के उद्घाटन समारोहमे सहभागि भेल छैथ ।
नेपाली प्रतिनिधि मण्डलके नेतृत्व करैत कतारक दोहामे रहल सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना सोमदिन दोहा प्रदर्शनी तथा सम्मेलन केन्द्र (डिइसीसी)मे आयोजित सम्मेलनके उद्घाटन समारोहमे सहभागि भेल छलैन ।
सम्मेलनक सहभागी विभिन्न देशक प्रतिनिधि मण्डलके प्रमुखसभक औपचारिक बैसारमे सेहो ओ भाग लेलैन । ओइ अवसरमे मन्त्री तिमिल्सिना मित्रराष्ट्रक समकक्षीसभसँ अन्तरक्रिया कएने नेपाली दूतावास, दोहाद्वारा सोमदिन जारी प्रेस विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ ।
सम्मेलनके क्रममे आइटियूके रेडियो कम्युनिकेसन ब्युरोके निर्देशक पदके फ्रान्सेली उम्मेदवार एरिक फोर्नियर सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिनासँ शिष्टाचार भेट केलैन । फोर्नियर नेपालक लेल स्पेक्ट्रम तथा भूउपग्रह कक्ष व्यवस्थापन सम्बन्धी विषयमे परामर्श केलैन । उक्त पदक लेल अपन दृष्टिकोण तथा योजनाबारे सेहो ओ सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिनाकेँ जानकारी करौलैन ।
तहिना, सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना इरानक सूचना तथा सञ्चार प्रविधिमन्त्री सत्तार हाशेमी आ तान्जानियाके सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री एन्जेलाह जस्मिन कैरुकीसँ सेहो शिष्टाचार भेटवार्ता केलैन । उक्त भेटवार्तामे दूनु पक्ष बीच आपसी हित आ जिज्ञासाके विषयमे परामर्श भेल विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ ।
अइ बीच, मन्त्री डा तिमिल्सिना साँझमे कतार सरकारद्वारा आइटियु पीपी–२६ मे सहभागी विभिन्न देशक प्रतिनिधि मण्डलके लेल आयोजित रात्रिभोजमे सहभागि भेल छलैन ।
अन्तर्राष्ट्रिय दूरसञ्चार सङ्घके महासम्मेलन दूरसञ्चार तथा सूचना प्रविधिके विश्वव्यापी नीति, नियमन आ सहकार्यक विषयमे परामर्श हुअबला महत्वपूर्ण अन्तर्राष्ट्रिय मञ्च अइछ ।




.gif)





